Bhajan भजन

सभकेर सुधि अहाँ लै छी हे अम्बे

Durga माँ दुर्गा
Lyrics बोल

सभकेर सुधि अहाँ लै छी हे अम्बे
हमरा किए बिसरै छी हे

थिकहुँ पुत्र अहींकेर जननी
से तऽ अहाँ जनै छी हे

एहन निष्ठुर किए अहाँ भेलहुँ
कनिको दृष्टि नहि दै छी हे

क्षण-क्षण पल-पल ध्यान करै छी
नाम अहींकेर जपै छी हे

रैनि-दिवस हम ठाढ़ रहै छी
दर्शन बिनु तरसै छी हे

छी जगदम्बा, जग अवलम्बा
तारिणि तरणि बनै छी हे

हमरा बेरि किए ने तकै छी
पापी जानि ठेलै छी हे

सभ के सुधि अहाँ लै छी हे अम्बे

Watch & Listen सुनें और देखें