Bhajan भजन

मैईया लक्छमी आबू

Durga माँ दुर्गा
Lyrics बोल

मैईया लक्छमी आबू बिगरल काज बनाबू
जे किश्मत के मारल मैया हुनकर भाग्य जगाबु

रत्ना कर स प्रगट भेलो माँ सागर सुता कहाबै छी
छीर समुंदर शेषनाग पर विष्णु क चरण दबाबै छी
सुर नर मुनि सब कहै ये मईया हमरा नै बिस्राबु।
मैईया लक्छमी आबू....

आहाँ बिन माँ तीनु लोक में काज सब रुईकी जाइये
यज्ञ हवन पूजन कीर्तन माँ दान नै भ पावईये
एक नजर फेरु हे मईया सब संकट के मिटा बु
मईया लक्छमी आबू......

प्यासा गाबे भजन आहाँ के गाबे नर और नारी
खुईल जाइ किश्मत हुनकर माँ जिनका पर आहाँ बलिहारी
सब के घर दीपावली के दिन छम छम करैत आबू
मैईया लक्छमी आबू...

हेमकान्त झा प्यासा
Hemkant jha प्यासा
9831228059

Watch & Listen सुनें और देखें